For faster navigation, this Iframe is preloading the Wikiwand page for गौतम अदानी.

गौतम अदानी

गौतम अदानी
Gautam Adani
ગૌતમ અદાણી
जन्म (१९६२-०६-२४) २४ जुन १९६२ (उमर ६२)
राष्ट्रियताभारतीय
व्यवसायअदानी समूहक चेयरम्यान
प्रसिद्धि कारणअदानी समूहक संस्थापक आ कार्यकारी प्रमुख
जमा सम्पति$७ बिलियन (२०१५)[]
जीवनसाथी(सभ)प्रिती अदानी
बालबच्चाकरण अदानी
जीत अदानी
सम्बन्धीविनोद अदानी (भाई)


गौतम अदानी (जन्म २४ जुन १९६२) एक भारतीय व्यवसायी छी जे अदानी समूहक संस्थापक आ कार्यकारी प्रमुख छी । अमेरिकी पत्रिका फोर्ब्स अनुसार सन् २०१५ मे गौतमके कूल सम्पति ७ बिलियन अमेरिकी डलर अछि ।[] ओ सन् १९८८ मे अदानी समूहक स्थापना केनए छल आ आई वर्तमान समयमे अदानी समूह कोयला व्यापार, कोयला खनन, तेल आ ग्यास खोज, बन्दरगाहसभ, मल्टी मोडल लजिस्टिक, बिजली उत्पादन आ पारेषण आ ग्यास वितरणमे फैलल कारोबारक सम्भालैवला विश्व स्तरक एकीकृत बुनियादी ढाँचा छी ।[] ३३ वर्षक व्यापार अनुभवक साथ साथ, गौतम अदाणी प्रथम पीढ़ीक उद्यमी छी जे अपेक्षाकृत कम समयमे $८ अरबक व्यवसायिक कारोबारी साम्राज्य आदानी समूहक नेतृत्व करैवला एक मामूली पृष्ठभूमिक व्यक्ति छी ।[][][]

गौतमके व्यापार-परिवहन आ परिवहन सम्बन्धी बुनियादी ढाँचाक विकासक लेल विश्व भरिमे १०० सबसँ प्रभावशाली व्यवसायीसभमे गिनल जाइत अछि । ओ सन् २००६ मे आधुनिक मुन्द्रा बन्दरगाहक स्थापना केनए छल जकरा सन् २००६ मे लोयड्स सभसँ बढिया बन्दरगाहक सूचीमे स्थान देनए छल ।[][] आजुक वर्तमान समयमे मुन्द्रा बन्दरगाह भारतक सभसँ पैग व्यवसायिक बन्दरगाह छी जे सन् २०१३-१४ क आर्थिक वर्षमे १०० मिलियन म्याट्रिक टनक कारोबार केनए छल ।[]

गौतम अदानीक जन्म गुजराती बनिया परिवारमे सन् १९६२ जुन २४ मे भारतक गुजरात राज्यक अहमदाबादक रतनपोलमे भेल छल ।[१०] गौतमक पिताक नाम शान्तिलाल आ माताक नाम शान्ता अदानी छी आ हुनका ७ भाईबहिन अछि । हुनकर मातापिता गुजरातक पूर्वी भाग थराद शहरसँ बसाइसराई केनए छल ।[] गौतमक विवाह प्रिती अदानीसँ भेल अछि जे पेशासँ दन्त चिकित्सक आ अदानी फाउन्डेसनक प्रबन्धक सञ्चालक छी । ई दुनूके दुई टा बेटा अछि । गौतम अपन प्रारम्भिक शिक्षा अहमदाबादक शेठ चिमनलाल नागीनदास विद्यालयसँ केनए अछि । बादमे, ओ गुजरात विश्वविद्यालयसँ वाणिज्य सङ्कायमे स्नातकक दुई वर्षधरि पढ़ाई केलक ।[११]

अपन पिताद्वारा अहमदाबादमे स्थापित टेक्सटाइलक व्यवसायमे समर्पित नै भ गौतम १८ वर्षक उमरमे किछ १०० रुपैया ल भारतक आर्थिक राजधानी मुम्बई पहुँचल छल । ओ अपन करियरक आरम्भ हिरा विक्रेताक रूपमे केनए छल । ओ २ वर्ष धरि महिन्द्रा ब्रदर्स नामक फर्ममे काज केनए छल । बादमे ओ खुद अपन हीरा दलालीक काज मुम्बईमे स्थापित केनए छल । हुनकर कथन अनुसार ओ एक वर्षमे लगभग १० लाख रुपैया आर्जित केनए छल, सन् १९८० मे ई रकम बहुत बेसी छल ।[]

गौतमक बड़का भाई महासुख अदानी, अपन प्लास्टिक कारखानाक चलाबैक लेल गौतमक मुम्बईसँ अहमदाबाद बजेलक । जल्दीए गौतम अदानी पोलीभिनाइल क्लोराइड, प्लास्टिक निर्माणक लेल प्रमुख सामग्रीक आयात करि कमोडिटी व्यवसाय आरम्भ केलक ।[][]

अदानी, उच्च जोखिम ल व्यवसाय करि सफल भेला कारण हुनका गौतमभाई नाम राखल गेल । पूर्व आइआइएम-ए निर्देशक बाकुल ढोलकिया, जे अदानी समूहक शैक्षिक आ सिएसआर सुरुवातकर्ता छल ओ कहलक, "उच्च जोखिम वहन करि सफल होमएवला बहुतेक कम व्यवसायीसभमे सँ एक अदानी छी ।[१२]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. Naazneen Karmali। "Gautam Adani"Forbes
  2. "The World's Billionaires: #249 Gautam Adani"। Forbes। 28 May 2014। अन्तिम पहुँच 16 June 2014
  3. "Adani Enterprises Ltd."BusinessWeek। 2014। अन्तिम पहुँच 16 June 2014
  4. Nayyar, Dhiraj; Mahurkar, Uday (20 August 2011)। "Billionaire who Beat the System: A look into profile of billionaire Gautam Adani"। India Today। अन्तिम पहुँच 16 June 2014
  5. Keshavdev, V. (6 July 2013)। "The Alchemist"। Outlook Business। मूलसँ 29 May 2014 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 16 June 2014 ((cite web)): Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  6. "Adani among most indebted groups, plans to raise Rs 10,000 crore via share sale"The Economic Times। 28 July 2014। अन्तिम पहुँच 9 February 2015
  7. ७.० ७.१ Kumar, Mousumi Saha (16 July 2011)। "Gautam Adani"। Success Stories।
  8. ८.० ८.१ ८.२ ८.३ Mehta, Harit (2014-04-10)। "Gautam Adani, the baron to watch out for if Narendra Modi becomes king"The Times of India। अन्तिम पहुँच 2014-04-10
  9. "Adani's Mundra Port crosses 100 MMT mark of cargo handling in a year" (PDF)Business Line। 31 March 2014। अन्तिम पहुँच 16 June 2014
  10. Aakar Patel। "Why caste persists in politics"The Hindu
  11. "Gautam Adani Business Profile"। Business Maps of India। 2014। अन्तिम पहुँच 16 June 2014
  12. "Gautam Adani, the baron to watch out for if Narendra Modi becomes king"। The Times of India। 10 April 2014। अन्तिम पहुँच 16 June 2014

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]
{{bottomLinkPreText}} {{bottomLinkText}}
गौतम अदानी
Listen to this article

This browser is not supported by Wikiwand :(
Wikiwand requires a browser with modern capabilities in order to provide you with the best reading experience.
Please download and use one of the following browsers:

This article was just edited, click to reload
This article has been deleted on Wikipedia (Why?)

Back to homepage

Please click Add in the dialog above
Please click Allow in the top-left corner,
then click Install Now in the dialog
Please click Open in the download dialog,
then click Install
Please click the "Downloads" icon in the Safari toolbar, open the first download in the list,
then click Install
{{::$root.activation.text}}

Install Wikiwand

Install on Chrome Install on Firefox
Don't forget to rate us

Tell your friends about Wikiwand!

Gmail Facebook Twitter Link

Enjoying Wikiwand?

Tell your friends and spread the love:
Share on Gmail Share on Facebook Share on Twitter Share on Buffer

Our magic isn't perfect

You can help our automatic cover photo selection by reporting an unsuitable photo.

This photo is visually disturbing This photo is not a good choice

Thank you for helping!


Your input will affect cover photo selection, along with input from other users.

X

Get ready for Wikiwand 2.0 🎉! the new version arrives on September 1st! Don't want to wait?